Back

ⓘ धम्पुस



                                               

माछापुच्छ्रे गाउँपालिका

माछापुच्छ्रे गाउँपालिका कास्की जिलामे अवस्थित अछि । विसं २०७३ सालमे सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयले ७४४ स्थानीय तह लागू करलावाद कास्की जिलामे साविकक माछापुच्छ्रे गाविस, सार्दीखोला, घाचोक, लाहाचोक, रिभान, धिताल, धम्पुस आ ल्वाङघलेल गाउँ विकास समितिसभके मिलाए माछापुच्छ्रे गाउँपालिका घोषणा कएल गेल अछि । माछापुच्छ्रे गाउँपालिकक कूल जनसंख्या २१,८६८ रहल अछि ।

धम्पुस
                                     

ⓘ धम्पुस

धम्पुस नेपालक पश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रक गण्डकी अञ्चल, कास्की जिलामे अवस्थित गाँउ विकास समिति छी। ई ठाममे ६२० टा घर अछि । एत पहुचक लेल पर्यटकसभ गाडिमे नै जाक पैदल जाएत अछि । ई ठाम अझ फिल्म सुटिङ्क लेल बहुत प्रसिद्ध अछि । एहि गाविसमे रहल ऐतिहासिक तथा धार्मिक पर्यटकीय स्थलसभ धम्पुसकोट, भुमे मन्दिर, नेवोताल वराह, सिद्घवराह मन्दिर आदि रहल अछि तथा पाराग्लाईडिङक लागि थाक डाँडा, तप्राङ मैदान आदि प्राकृतिक पर्यटकीय स्थलसभ छी।

                                     

1. पर्यटन

अधिकांश पर्यटक माछापुच्छ्रे देखए लेल पोखरा जाएत अछि। मुदा, माछापुच्छ्रेक असली दृश्यावलोकन करएक अछि तँ धम्पुससँ बढिया ठाम और कोनो नै अछि । माछाक पुच्छर आकारक उपर भेलाक कारण एकर नाम माछापुच्छ्रे भेल अछि । धम्पुस पहुँचनाए हल्लुक अछि, पोखरासँ मात्र २५ किलोमिटर पश्चिम। पोखराक बाग्लुङ बसपार्कसँ बाग्लुङ जाएवाला बस जाएत अछि । एतसँ सार्वजनिक बस पकैर वा ट्याक्सी लक आधा घण्टामे फेदी पहुच सकै छी । एतसँ शुरु होएत अछि, जङ्गलसँ घेरल रास्तामे पदयात्रा। जल्दी चलवालाएक घण्टा, अस्थिरसँ चलवालाक दुई घण्टा, तेकर बाद आइब जाइया- गन्तव्य धम्पुस! धम्पुससँ देखाई वाला हिमालमात्रे नाई, पोखरासँ फेदीतक गाडीमे यात्रा करैत काल देखाई वाला फाँट, खोलासभ सेहो कम मनमोहक नैअछि। फेदीमे भेल होटलसभमे सजाक राखल सुखैइ देखलाक बाद खायल बिना नै रहि सकै छी । डाँडा पहुचनासाथ शुरु होएत धम्पुसक होटल, सफावस्ती आर स्वागत करि बैसल रहल धम्पुसबासीक व्यवहार पर्यटकक एना लुभावैत अछि कि एक रातक लेल जाएवालाक सेहो अपन बसाइँ बेसी दिन कर मन लागैत अछि।

                                     

2. कृषि

१७५० मिटरमे रहल धम्पुसमे कोदो, धान, आलु, सागक बढिया उबजाऊ होएत अछि । रासायनिक मल बिनाक तरकारी, सुखैइ, लोकल मुर्गा खाएत हिमालक सौन्दर्य नजदिकसँ देखानाइ कम आनन्ददायी नै होएतअछि । एतक मौसम सेहो गज्जबक अछि,न बहुत जाड न गर्मी ।

  • धम्पुस
Free and no ads
no need to download or install

Pino - logical board game which is based on tactics and strategy. In general this is a remix of chess, checkers and corners. The game develops imagination, concentration, teaches how to solve tasks, plan their own actions and of course to think logically. It does not matter how much pieces you have, the main thing is how they are placement!

online intellectual game →